वाटर स्पोर्ट मे रमल पटना

पटना। आखिरकार रविदिन गांधी घाट पर जेट स्की आ स्पीड बोट क परिचालन क शुभारंभ पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू केलथि। गंगा क लहर पर जेट स्की क तेजी क आनंद आखिर पटनाक युवक कए भेट गेल। गांधी घाट पर स्पीड बोट क मजा लेनिहारक कतार लागि गेल अछि। की बूढ, की जवान आ की बच्‍चा, सब परिवार लोक ट्रेम्पोलिन मे बच्‍चा कए राखि लहर संग मस्‍ती लेल तैयार देखेलाह। एहि अवसर पर पर्यटन मंत्री सुनील कुमार पिंटू कहला जे प्राइवेट पार्टनरशिप क तहत जल्‍द एहन सुविधा महेंद्रू घाट आ काली घाट पर सेहो उपलब्ध कराउल जाएत। ओ कहला जे वाटर स्पोर्ट कए बढ़ावा देबा लेल इ सुविधा शुरू कैल गेल अछि। गंगा सर्किट कए विकसित करबाक घोषणा करैत ओ कहला जे गांधी घाट क भांति भद्र घाट आ भागलपुर मे सेहो गंगा आरती क आयोजन होएत। एकर संगहि गंगा क कछैरवाला शहर मे गंगा आरती क आयोजन क शुरुआत कैल जाएत। रोवायल गंगेज वाटर स्पोर्ट क तेजकर झा कहलथि गांधी घाट पर पांच-पांचटा जेट स्की आ स्पीड बोट चलाउल जा रहल अछि। सुरक्षा क विशेष इंतजाम कैल गेल अछि। वाटर स्पोर्ट क संगहि एक बेर फेर फ्लोटिंग रेस्तरां क परिचालन सेहो शुरू भ गेल अछि। गांधी जयंतीक अवसर पर एहि प्रकार स पटनाक लोक कए दूटा सनेस भेटल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.