वर्ल्ड इकोनामिक फोरम क बैसार मे बिहार पर होएत चर्चा

पटना। आर्थिक जगत क सबस पैघ बैसार मे एहि बेर बिहार पर सेहो चर्चा होएत। वर्ल्ड इकोनामिक फोरम अपन वार्षिक बैसार मे विशिष्ट अतिथि क रूप बिहार क उपमुख्यमंत्री सह वित्‍तमंत्री सुशील कुमार मोदी कए आमंत्रित केलक अछि। एहि बैसार मे बतौर विशिष्ट अतिथि हिस्‍सा लेनिहार मोदी बिहार क पहिल वित्‍तमंत्री हेताह। एहन सम्‍मान बिहार कए पूर्व मे कहियो नहि भेटल छल।
फोरम दिस स पठाउल गेल आमंत्रण पत्र मे मोदी कए 11 स 13 सितंबर तक चीन क तियान्जिन शहर मे आयोजित वर्ल्ड इकोनोमिक फोरम क ‘एनुअल मीटिंग आफ न्यू चैंपियंस 2012’ मे भाग लेबा लेल आमंत्रित कैल गेल अछि।
एहि कार्यक्रम क आयोजन वर्ल्ड इकोनोमिक फोरम आ चीन सरकार संयुक्त रूप स क रहल अछि। एहि कार्यक्रम क विषय ‘क्रिएटिंग द फ्यूचर इकोनोमी राखल गेल अछि। एहि सम्‍मेलन मे दुनिया भरिक 1500 नेता, बिजनेस लीडर, विशेषज्ञ, अकादमिक विशेषज्ञ आ मीडिया विशेषज्ञ भाग लेताह।
फोरम क प्रबंध निदेशक बोर्ग ब्रेंड आ एशिया प्रमुख आ सीनियर डायरेक्ट सुशांत पी राव इ निमंत्रण पठेलथि अछि। फोरम मोदी कए बिहार सरकार क कार्यकाल मे बिहार क विकास क कहानी आओर अपन अनुभव कए साझेदारी बैसार क दौरान करबाक अनुरोध केलक अछि। फोरम बिहार क बिजनेस शिष्टमंडल कए सेहो निमंत्रण देलक अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments