वरिष्ठ पत्रकार प्रभाष जोशी नहि रहलाह

prabhashनई दिल्ली। वरिष्ठ पत्रकार प्रभाष जोशी क बीतल राति दिल क दौरा पड़बा स निधन भ गेल। ओ 73 वर्ष क छलाह। परिवारिक सूत्र स मुताबिक बीतल राति जोशी भारत आ ऑस्ट्रेलिया क बीच पांचम वनडे मैच देखि रहल छलाह, तखने सीना मे दर्द उठल। हुनका निजी अस्पताल मे तत्काल भर्ती कराउल गेल जाहि ठाम बाद मे डाक्टर हुनका मृत घोषित करि देलक। हुनकर माता माता लीलाबाई जीवैत छथि। हुनकर अंतिम संस्कार इंदौर क निकट नर्मदा क तट पर कैल जा रहल अछि।
समाचार पत्र नई दुनिया स अपन पत्रकारिता क शुरूआत करबाक बाद जोशी संपादक क रूप मे समाचार पत्र जनसत्ता कए शिखर पर पहुंचेलथि। ओ 1995 मे संपादक क पद स रिटायरमेंट लेलाक बाद मुख्य संपादकीय सलाहकार क तौर पर जनसत्ता स जुड़ल रहलथि। ओ अंग्रेजी समाचार पत्र इंडियन एक्सप्रेस क स्थानीय संपादक क रूप मे दिल्ली, अहमदाबाद आ चंडीगढ़ मे सेहो काज केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments