लौकहा स सतीश भेला जदयू उम्मीदवार

पटना। लौकहा उपचुनाव लेल सत्तारुढ़ जदयू अपन उम्‍मीदवारक घोषणा करि देलक अछि। नीतीश कुमार क परिवारवाद कए खिलाफ उठाउल गेल विचार कए हुनक पार्टी लगैत अछि तख्‍खा पर राखि देलक अछि। एहि ठाम स दिवंगत पंचायती राज मंत्री हरिप्रसाद साह क पुत्र सतीश कुमार कए पार्टी क उम्मीदवार घोषित केलक अछि। जदयू क प्रदेश अध्यक्ष वशिष्ठ नारायण सिंह कहला अछि जे सतीश कुमार साह मधुबनी क लौकहा विधानसभा क्षेत्र उपचुनाव मे पार्टी क उम्मीदवार हेताह। ओ दावा केलथि जे इ सीट पर पार्टी कए भारी विजय हासिल होएत। विधानसभा चुनावक बाद भेल पिछला सब टा उपचुनाव सेहो जदयू भारी मत स जीत चुकल अछि। उल्लेखनीय अछि जे सितंबर मास मे मस्तिष्काघात क कारण पंचायती राज मंत्री आओर स्थानीय विधायक हरिप्रसाद साह क निधन भ गेल छल जाहि कारण स लौकहा सीट रिक्त भेल छल। एहि ठाम 30 नवंबर कए मतदान होएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments