लोक लेखा समितिक अध्यक्ष बनलाह ललित

दरभंगा। दरभंगा ग्रामीण क्षेत्र क विधायक ललित कुमार यादव कए विधान सभा मे लोक लेखा समिति क अध्यक्ष मनोनीत कैल गेल अछि। विधानसभाक एहि सबस महत्वपूर्ण समितिक अध्यक्ष बनला पर जतए क्षेत्रक लोक मे उत्साह अछि, ओतहि समर्थक सरकार क एहि फैसला क सराहना करैत छथि। क्षेत्र क लोक कए विधायक भरोसा देलाह अछि जे लोक लेखा समिति एहि बेर सरकार क टका-टका क हिसाब राखत आओर अनियमितता बरतनिहार पर कार्रवाई सेहो करत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments