लोकहा उपचुनाव 30 नवंबर कए

नई दिल्ली । चुनाव आयोग बिहार क लोकहा सहित देशक कुल आठटा विधानसभा सीट पर उपचुनाव क घोषणा करि देलक अछि। बिहारक लोकहा, हिमाचल क नालगढ़ आ रेंका, हरियाणा क रतिया आ आदमपुर, झारखंड क मांडू आ ओडिशा क उमरकोट सीट पर उपचुनाव 30 नवंबर कए होएत। एकर संगहि आयोग पश्चिम बंगाल मे ममता बनर्जी द्वारा खाली कैल गेल कोलकाता दक्षिण संसदीय सीट पर सेहो 30 नवंबर कए उपचुनाव कराउत। एहि सबटा सीट क लेल 5 नवंबर कए अधिसूचना जारी होएत। नामांकन क अंतिम तिथि 12 नवंबर होएत। 16 नवंबर तक नामांकन वापस लेल जा सकत। मतगणना 4 दिसंबर कए होएत। चुनाव कार्यक्रम क घोषणा क संगहि एहि राज्‍य क संबंधित जिला मे चुनाव आचार संहिता लागू भ गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments