लालू फेर मुश्किल मे

lalooजमीनक बदला में नौकरी मामलाक जांच करत सीबीआइ
नई दिल्ली। पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद क मुश्किल खत्म नहि भ रहल अछि। हुनका पर अपन रेल मंत्री कार्यकाल क दौरान जमीन क बदला मे रेलवे मे नौकरी देबाक आरोप लागल छल। अब ओहि आरोपक सीबीआई जांच करत। रेल मंत्री ममता बनर्जी जांच क आदेश देलथि अछि। एहि स पूर्व राजग तात्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद क खिलाफ जांच क मांग प्रधानमंत्री स केने छलाह। एहि मामला मे अब ममता बनर्जी जांच क आदेश देलथि अछि। ममता बनर्जी सीबीआई कए एहि आरोप क जांच कए आदेश देलथि अछि।
गौरतलब अछि जे लालू रेल मंत्री छलाह आ यूपीए सरकार क एकटा अहम स्तम्भ छलाह। जेकर कारण मामला कए ठंडे बस्ता मे डालि देल गेल। विपक्ष सेहो सरकार स जांच क मांग कैल गेल, मुदा प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह लालू क यूपीए मे अहमियत कए देखैत रेलवे विजिलेंस डिपार्टमेंट क जांच क जिम्मा सौंप देने छल। मुदा आब रेल मंत्री ममता बनर्जी पूरा मामला कए गंभीरता स लैत सीबीआई जांच क आदेश देलथि अछि। ममता बनर्जी क एहि कदम पर जेडीयू नेता शिवानंद तिवारी हुनका बधाई देलथि अछि। ओ कहलथि जे रेलवे जुड़ल एकटा आओर मामला मे बिहार सरकार जांच करि रहल अछि। जाहि मे लालू अपन परिवार कए फायदा दियेबा लेल रेलवे क दुरुपयोग कैलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments