लालूक पाछु पड़ल ममता कए फेर हाथ लागल मायूसी

0
7
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली । पूर्व रेल मंत्री लालू प्रसाद कए फंसेबा लेल हाथ धो कए पाछु पड़ल ममता बनर्जी कए एक बेर फेर मायूसी हाथ लागल अछि। जमीन क बदला मे नौकरी देबाक आरोप में फंसल लालू प्रसाद क खिलाफ जांच शुरू करबाक ममता बनर्जी क दरख्वास्त कए सीबीआई दरकिनार करि देलक अछि। ममताक एहि अनुरोध कए कांग्रेस सेहो गैरजरूरी मानलक अछि। ओनाओ ममताक गप पर कांग्रेस आब बेसी ध्यान नहि द रहल अछि। ज्ञानेश्वरी हादसा मे माओवादी क हाथ क जांच करबाक मांग पर सेहो कांग्रेस आ सीबीआई ममता क नाराजगी स बेफिक्री देखा चुकल अछि।
ज्ञानेश्वरी हादसा क जांच मे बुद्धदेव सरकार क लाइन कए सही ठहराकए जांच एजेंसी ममता कए राजनीतिक संदेश देने छल, आब लालू मामला मे सेहो एजेंसी साफ करि देलक अछि जे राजनीतिक दुश्मन लेल सीबीआई राजनीतिक रूप स फैसला लैत। रेलवे क नफा-नुकसान मामले मे अपन श्वेतपत्र आनि ममता अपने फंसी गेलीह आ जाहि आधार पर ओ लालू कए गलत साबित करबाक प्रयास केलथि ओहि आधार पर अपन बजट तैयार करि रेलवेक नफा कए देखेबाक गलती करि देलीह। सवाल उठैत अछि जे रेलवेक हालात सुधारबाक बजाए लालू कए फंसा कए ममता जे राजनीति करबा कोशिश करि रहल छथि ओहि स हुनका कोनो फायदा नहि हुए जा रहल अछि। कोलकाताक बिहारी समाज लालू स तमसायल जरूर अछि, मुदा ओकरा एहि बातक संतोष सेहो अछि जे लालू एकटा रेलमंत्रीक रूप मे ममता स नीक काज करबाक रिकार्ड रखैत छथि।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page