लगातार खेलेबा मे कुक क विश्व रिकॉर्ड

0
143
एजेंसी
लीड्स । इंग्लैंड क सलामी बल्लेबाज एलिस्टेयर कुक शुक्र दिन पाकिस्तान क खिलाफ दोसर टेस्ट मे उतरलाक संगहि लगातार 154 टेस्ट खेलयबाक नव विश्व रिकार्ड बनौलन्हि। श्री कुक आस्ट्रेलियाक पूर्व कप्तान एलन बोर्डर के रिकार्ड के पछुआ देलैन जे 1979 से 1994 धरि लगातार 153 टेस्ट मैच खेलायल छलाह। कुक भारत क खिलाफ  नागपुर मे  1 से 5 मार्च 2006 क मध्य खेलायल गेल टेस्ट मैच से टेस्ट क्रिकेट मे अपन उपस्थिति दर्ज करौने छलाह। यद्यपि बीमार भेला  क बाद ओ सिरीज क अंतिम मैच नहि खेला सकलाह। 33 वर्षीय कुक क नाम  32 शतक आ 12099 रन दर्ज अछि।

Comments

comments