लक्ष्य स पाछु अछि बिहार क सात रेल परियोजना

निविदा कए अंतिम रूप देबा मे विलंब, आ निधि क कमी क कारण परियोजना मे देरी भेल अछि।
समदिया
नई दिल्ली। सरकार मानलक जे बिहार मे चालू विभिन्न रेल परियोजना मे स सातटा परियोजना निर्धारित लक्ष्य स पाछु चलि रहल अछि आ ओहि देरी क कारण मे भूमि अधिग्रहण आ वन विभाग क मंजूरी मे देरी, ठेका क विफलता आ निधि क कमी प्रमुख अछि।
रेल राज्य मंत्री केएच मुनियप्पा कहला जे एहि सातटा परियोजना मे मुजफ्फरपुर-सीतामढ़ी नई रेल लाइन, कोडरमा-तिलैया नव रेल लाइन, बेगूसराय-खगडिय़ा दोहरीकरण शामिल अछि।
ओ कहला जे एखन बिहार मे 33टा नव रेल लाइन, पांच आमान परिवर्तन आ 12 दोहरीकरण परियोजना पर काज चलि रहल अछि।
मंत्री कहला जे जयनगर- दरभंगा- नरकटियागंज आमान परिवर्तन परियोजना मे जयनगर-दरभंगा- सीतामढ़ी खंड कए चालू करि देल गेल अछि। ओ कहला जे निविदा कए अंतिम रूप देबा मे विलंब, आ निधि क कमी क कारण परियोजना मे देरी भेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments