रौशन होइत बिहार क 2600 गाम

elec
नई दिल्ली। अगर सब किछु योजना क मुताबिक चलल त ब्रिटेन क शेल फाउंडेशन बिहार क ढाई हजार स बेसी गाम कए अगिला तीन साल मे जगमग देत। बिहार क एहि गाम क विद्युतीकरण करबा लेल फाउंडेशन अपन सहयोगी कंपनी हस्क पावर सिस्टम कए आर्थिक मदद देबा लेल तैयार भ गेल अछि। हस्क पावर सिस्टम कंपनी धान क भूसी स बिजली पैदा करैत अछि।
फाउंडेशन क दिस स कहल गेल अछि जे ग्रामीण विद्युतीकरण क्षेत्र मे सक्रिय हस्क पावर सिस्टम क जरिए बिहार क बेसी स बेसी गाम कए रौशन करबाक लक्ष्य तय कैल गेल अछि। मौजूदा समय मे हस्क पावर सिस्टम क भूसी स 35-100 मेगावाट तक बिजली पैदा करबा लेल कईटा मिनी पावर प्लांट लगल अछि, जे बिहार क करीब 50टा गाम कए सस्ता दर पर बिजली क आपूर्ति करि रहल अछि। जे जेतबा बिजली क इस्तेमाल करैत अछि, ओकरा ओकर आधार पर काफी कम दर पर टका लेल जाइत छैक। किछु ठाम त टकाक बदला मे धानक भूसी लेल जाइत अछि। आब हस्क पावर सिस्टम अपनी जद मे करीब 2600 आओर गाम कए अनबाक फैसला केलक अछि। कंपनी क योजना क अनुसार, 2010 मे 400, 2011 मे 100 आ 2012 मे दू हजार गाम मे बिजली आपूर्ति क लक्ष्य रखल गेल अछि। फाउंडेशन क अनुसार, दोसर चरण राज्य क गाम मे पैघ पैमाना पर विद्युतीकरण करबाक योजना अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments