रौदी क आकलन पर केंद्रीय टीम क मुहर

पटना । सूबा क 28टा जिला मे रौदीक स्थिति क जायजा लेबा लेल आयल केंद्रीय टीम राज्य सरकार कए रौदी स संबंधित आकलन रिपोर्ट पर अपन मुहर लगा देलक अछि। कृषि मंत्रालय मे संयुक्त सचिव स्तर क अधिकारी पंकज कुमार क नेतृत्व मे आयल टीम दू दिन तक लगातार सूखाग्रस्त जिला क दौरा केलक। केंद्रीय टीम मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग बैठक करि अपन आकलन क बारे मे हुनका जानकारी देलक। पंकज कुमार कहला जे निरीक्षण क आधार पर इ पाउल गेल अछि जे धान क फसल कए काफी नुकसान भेल अछि। रोपनी मे बहुत कमी अछि आ कई ठाम त बिचड़ा क स्थिति ठीक नहि अछि। मकई पर सेहो असर पड़ल अछि। सितंबर मे तोड़ी आ दलहन क बुआई सेहो हेबाक अछि। ओ कहला जे केंद्रीय टीम राज्य सरकार स बारिश आ बुआई क अद्यतन आंकड़ा मंगलक अछि। ओ भेटला पर टीम अपन रिपोर्ट कृषि मंत्रालय कए सौंपत। कुमार कहला जे बहुत जल्द टीम अपन रिपोर्ट सौंप देत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments