रोज चाही एक लाख, नहि त घरे करू आराम

पटना। राजस्व समीक्षा बैठक क हफ्तेभरि बाद परिवहन विभाग प्रवर्तन तंत्र मे काज क रहल अवर निरीक्षक सब कए राजस्व लक्ष्य मे सब मास पांच लाख टका क इजाफा करि देलक अछि । परिवहन विभाग सबटा प्रवर्तन तंत्र क पुलिस अफसर कए पत्र लिखिकए बता देलक अछि जे रोज हुनका एक लाख टका क राजस्व संग्रह करबाक अछि। इ लक्ष्य पूरा नहि भेला पर हुनका घरे मे आराम करबाक सलाह देल गेल अछि। परिवहन विभाग स भेटल समाद अनुसार एखन धरि छोट जिला मे पदस्थापित प्रवर्तन तंत्र क पुलिस अफसर क वार्षिक लक्ष्य बीस स पच्चीस लाख टका छल, जेकरा पांच लाख टका तक बढ़ा देल गेल अछि। इ नव व्यवस्था तत्काल प्रभाव स लागू भ चुकल अछि। एहि संबंध मे विभाग क अधिकारी क तर्क अछि जे जाहि रफ्तार स वाहन क संख्या मे इजाफा भेल अछि आओर बाहरी राज्य स वाहन आबि रहल अछि ओकरा देखैत रोज एक लाख टका क राजस्व बहुत बेसी नहि अछि । राज्य क विभिन्न हिस्सा मे निर्माण काज शुरू अछि । एहि कारण स पैघ वाहन क परिचालन त बढ़ले अछि संगहि विभिन्न जिला मे नव वाहन निबंधित हेबा ले लंबा कतार लागल अछि । प्रवर्तन तंत्र क अलावा जिला परिवहन कार्यालय क वार्षिक लक्ष्य कए सेहो बढ़ेबाक प्रस्ताव अछि । चेकपोस्ट क मासिक लक्ष्य कए पहिने बढ़ाउल जा चुकल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.