रैयाम चीनी मिल मे बढ़ल चहल-पहल

केवटी। कई साल स बंद पड़ल रैयाम चीनी मिल क हस्तांतरण सोमदिन तिरहुत इंडस्ट्रीज लिमिटेड क महाप्रबंधक प्रदीप कुमार चौधरी कए कैल गेल। एकर बाद मिल मे चहल-पहल बढि़ गेल। आनो कागज पर बिहार स्टेट सुगर कारपोरेशन लिमिटेड क महाप्रबंधक सह ईख आयुक्त जय मंगल सिंह उक्त मिल क हस्तांतरण 16 अप्रैल कए महाप्रबंधक चौधरी कए केने छलाह। एकर औपचारिकता सोमदिन पूरा कैल गेल। सोमदिन मिल परिसर मे स्थानीय विधायक डॉ अशोक कुमार यादव क अध्यक्षता मे आयोजित समारोह मे कर्मी जीएम एसएन लाल स दूरभाष पर भेटल आदेश क आलोक मे महाप्रबंधक चौधरी कए मिल हाउस, कार्यालय, जेनरेटर स्टोर आ बंगला क चाबी सौंप देलथि। मिल हाउस मुख्य द्वार महाप्रबंधक कार्यालय क चाबी सुरक्षा निरीक्षक प्रभारी मो आफताब आलम, जेनरेटर क चाबी भोला कुमार, बंगला नं-1 क चाबी महेन्द्र साहु सौंपलथि। चाबी पौलाक बाद महाप्रबंधक चौधरी कहला जे शीघ्र मिल कए चालू कैल जाएत। एक-दू दिन मे अभियंता क टीम मील क दौरा करत आ मिल क स्थिति क जायजा लैत। ओ कहला जे चीनी उद्योग क अलावा नव तकनीक स दू तरह क आओर उद्योग लगाउल जाएत। इ उद्योग डिस्टलरी आ ओजन प्लांट क होएत। मशीन क ईख पेराई क क्षमता शुरू मे 25 सौ मीट्रिक टन प्रतिदिन होएत। एकरा बढ़ाकए पांच हजार मीट्रिक टन करबाक योजना अछि। मील कए फेर स खोलबा लेल भगिरथि प्रयास केेनिहनर विधायक अशोक यादव अपन अध्यक्षीय भाषण मे कहला जे मुख्य मंत्री नीतीश कुमार आ उप मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी कए एहि ठामक जनप्रतिनिधि हेबाक कारण हम जनता क दिस स बधाई दैत छी।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. अहाँक वेव साईट देखल. बहुत नीक प्रयास अछि. निरंतरताक संगहि स्थानियता आ नब सोच राखी. बहुत बहुत शुभकामना.

Comments are closed.