रेल लाइन स जुडि़ गेल राजगीर-तिलैया

पटना। राजगीर स गया आब ट्रेन स जाएब आसान भ गेल। दूनू शहर कए जोड़बा लेल बनल राजगीर-तिलैया रेल लाइन क उद्घाटन भ गेल। 46 किलो मीटर लंबा इ रेल पथ 181 करोड़ टका क लागत स लगभग सात साल मे तैयार भेल अछि। एकर शिलान्यास तत्कालीन रेल मंत्री नीतीश कुमार केने छलाह आ संयोग रहल जे प्रदेश क मुख्यमंत्री क नाते एकर उद्घाटन सेहो कुमार केलथि अछि। ओ झंडी देखा तिलैया तक विस्तारित दानापुर-राजगीर सवारी गाड़ी कए रवाना केलथि। एहि अवसर पर ओ कहलथि जे अगर नेउरा स दनियावां, दनियावां स बिहारशरीफ आ बिहारशरीफ स शेखपुरा क बीच सेहो रेलवे लाइन बनि जाए, त दानापुर-किउल रेलवे लाइन पर दबाव घटत आ दानापुर स किउल तक क दूरी सेहो कम भ जाएत। राजगीर-तिलैया रेल लाइन मे खास गप इ अछि जे द मार्ग मुनाफा देबा लेल पहिने स तैयार अछि। एहि मार्ग पर प्रतिदिन 30-35 रैक कोयला बाढ़ मे एनटीपीसी क इकाई लेल जाएत। एहि ठाम पहिने तीन यूनिट लगबाक छल मुदा आब 5 यूनिट लागत। उम्मीद अछि जे 46 किलो मीटर क इ नव पटरी पर्यटन उद्योग कए नव मुकाम देबा मे सेहो सहायक बनत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments