रेल कारखाना लेल डालमियानगर मे शुरु भेल चहल-पहल

पटना । आठ वर्ष पूर्व डालमियानगर मे प्रस्तावित रेल कारखाना खुलबाक आसार बढि़ गेल अछि। पिछला किछु दिन स लगातार रेल अधिकारी एहि ठामक दौरा पर दौरा क रहल छथि। एहि क्रम मे मंगल दिन ईसीआर क जीएम आर मिश्र सेहो प्रस्तावित रेल कारखाना स्थल क निरीक्षण केलथि आ एहि उम्मीद क पुष्टि केलथि शीघ्र करखाना खोलबक दिशा में पहल शुरु होएत।
उल्लेखनीय अछि जे डालमियानगर मे रेल बैगन कारखाना लगेबाक घोषणा केने अछि। श्री मिश्र कहला जे नव कारखाना लगेबा स पूर्व रोहतास उद्योग समूह क जमीन पर बेकार पड़ल स्क्रैप कए डिस्पोजल कैल जाएत। श्री मिश्र एहि क्रम मे फ्रेट कारिडोर क कार्य क सेहो समीक्षा केलथि। हुनकर आगमन खातिर स्थानीय रेलवे स्टेशन पर खास तैयारी कैल गेल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments