रेल ओवेरब्रिजक मामला मे पटना भेल अव्‍वल

पटना। रेल उपरि पुलक मामला मे पटना देशक कोनो राजधानी स आगू भ गेल अछि। बहुत दिन स प्रतीक्षारत पाटलिपुत्र स्टेशन लग तैयार भेल बेली रोड रेल ओवेरब्रिजक कए उदघाटनक संगहि सबस बेसी रेल उपरि पुल हेबाक उपमा पटना कए भेट गेल। एहि रेल उपरि पुलक उद्घाटन त मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक हाथ स भेल मुदा जाम स परेशान 108 वाला एकटा एंबुलेंस एहि पुल स सबस पहिने गुजरल। एहि प्रकार स 108 वाला एंबुलेंस एकटा व्‍यावहारिक परंपरा कए सेहो नींव राखल गेल। एहि एंबुलेंस कए गुजरलाक बाद मुख्यमंत्री क गाडी फ्लाईओवर स निकलल तखन एक संग पैघ संख्या मे वाहन नव अनुभव क संग 980 मीटर लंबा एहि नव फ्लाईओवर स गुजरल।
एहि अवसर पर यातायातक भीड़ कए देखैत कोनो सार्वजानिक भाषण स बचैत मुख्यमंत्री बस एतबा कहला जे एक समय मे जखन ई पुल नै बनल छल दानापुर मोड़ स ल कए डाक बंगला तक बड़ भयंकर जाम लगैत छल, मुदा आब ई समस्या नै रहत, एहि पुलक निर्माण स हमरा बड़ संतोष भेटल अछि। एहि कर्यक्रमक अध्यक्षता सड़क निर्माण मंत्री श्री नन्द किशोर यादव जी केलखिन। ओ कहला जे एहि पुलक निर्माणक संग पटना कोनो राज्यक राजधानी मे सब स बेसी रेल ओवेरब्रिज बाला राजधानी बनी गेल अछि। एता आब कुल नौ टा रेल ओवेरब्रिज अछि जाहि मे दू टा पुरनका रेल ओवेरब्रिज सेहो शामिल अछि। ओ कहला जे एहि पुलक निर्माण मे 80 करोड़ टका लागल छल। एकर निर्माण मे गुणवत्ताक ध्यान त राखले गेल छल संगे एहि मे वास्तु आ कला का अद्भुत दृश्य सेहो देखबा मे भेटत, पुलक रोशनी आ चिकन सड़क कए देखैतो मुख्यमंत्री एकरा आर नीक बनाबै क दिशा मे निर्देश देलक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments