रेलवे बोर्ड क अध्यक्ष हटला

नई दिल्ली। रेलमंत्री ममता बनर्जी सबटा रेलवे भर्ती बोर्ड क अध्यक्ष कए हटेबाक आदेश जारी केलथि अछि। रेलमंत्री सबटा रेलवे भर्ती बोर्ड मे नव अध्यक्ष कए नियुक्ति सेहो करि देलथि अछि। तीन साल स रेलवे मे उच्च पद पर कार्यरत वरिष्ठ अधिकारी कए रेलवे भर्ती बोर्ड क अध्यक्ष बनाउल गेल अछि। हटाउल गेल अध्यक्ष सबहक नियुक्ति पूर्व रेलमंत्री लालू प्रसाद क कार्यकाल मे भेल छल। ज्ञात हुए जे देश क 20टा शहर मे रेलवे भर्ती बोर्ड अछि। एहि बोर्ड क भर्ती मे काफी अनियमितता क शिकायत भेटल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments