रेलवे फाटक मे लागत मोटर


मुजफ्फरपुर। रेलवे गुमटी पर आब गेटमैन केबिन मे बैसकए एक बटन दबा गेट खोलत आ बंद करत। एकरा लेल गुमटी पर लागल गेट मे मोटर ऑपरेटेड गेट लगाउल जा रहल अछि। पूर्व-मध्य रेलवे सोनपुर मंडल मुजफ्फरपुर क्षेत्र क दूटा गुमटी पर प्रयोग क तौर पर एकरा लगाउल जा रहल अछि। आधिकारिक सूत्र क मानी त मुजफ्फरपुर मे रामदयालु रेलवे गुमटी नम्बर सात पर आ नारायणपुर गुमटी नम्बर 98 पर इ लगाउल जा चुकल अछि। एहि दूनू गुमटी पर बटन दबेला स गेट खुलत आ बंद होएत। विद्युत आपूर्ति नहि हेबाकस्थिति मे मोटर बैट्री क माध्यम स ऑपरेट कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments