रीयल एस्टेट मे उछाल पर अछि हमर नज़रि: नीतीश

पटना। राजधानी पटना सहित अन्य जिला मुख्यालय मे जमीन, फ्लैट आदि क दाम मे आयल बेतहाशा बढ़ोतरी पर सरकारक नजरि अछि। एहि विषय पर लोक कए चिंता मुक्त रहबाक सलाह दैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे राज्य सरकार एहि पर लगातार नज़रि रखने अछि।
राज्य क समाज कल्याण विभाग क एकटा कार्यक्रम मे मुख्यमंत्री कहला, ‘लोक कहि रहल छथि जे  बिहार मे रीयल एस्टेट क दाम हरियाणा क गुड़गांव क मौजूदा कीमत क आसपास अछि आ एहि मे भ्रष्ट तरीका स कमाउल गेल धन कए लगाउल जेबाक आशंका व्यक्त कैल जा रहल अछि। सरकार क एहि पर नजरि अछि आ सचिव स्तर क अधिकारी एहि पर नजरि रखबा लेल राखल गेल छथि। ओ कहला जे सरकार एहि गप पर गंभीर अछि जे  रीयल एस्टेट क कीमत मे आयल उछाल नकली त नहि अछि आ एहि मे कोनो गलत पैसा त नहि लागि रहल अछि। नीतीश कुमार कहला जे बिहार मे कानून व्यवस्था नीक भेला स जे लोक बिहार क बाहर चल गेल छलाह ओ आब धीरे धीरे राज्य मे निवेश क रहल छथि। बिहारक लोक सेहो आब खुलि कए टका खर्च कए रहल अछि। बाजार मे टकाक आदान-प्रदान बढबा स राज्यक सेहत मे सेहो सुधार भ रहल अछि। मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे भ्रष्टाचार कए कतई बर्दाश्त नहि कैल जाएत आ राष्ट्रीय चिंता क एहि पैघ समस्या क खिलाफ अभियान लगातार जारी रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments