रिलायंस इंडस्ट्रीज क संग चीनी मिल क करार रद्द

पटना । बिहार सरकार रिलायंस इंडस्ट्रीज लि.(आरआईएल) क संग मुजफ्फरपुर जिला क मोतीपुर मे बंद चीनी मिल कए खोलबाक संबंधी करार कए कंपनी क दिस स विलम्ब क कारण रद्द करि देलक अछि। उद्योग मंत्री गौतम सिंह कहला जे एकरा लेल नव निविदा जल्द जारी कैल जाएत। एकटा सवाल क जवाब मे सिंह कहला जे आरआईएल कए मिल खोलबा संबंधी ठेका प्रतिस्पर्धी बोली क बाद देल गेल छल। ओ कहला जे आरआईएल राज्य सरकार क लग मे बोली क राशि क दस प्रतिशत जमा करा देने अछि आ ओकरा लेटर ऑफ इंटेंट जारी कैल जा चुकल अछि। मंत्री कहला, हम आरआईएल स कई बेर काम शुरू करबा लेल कही चुकल छी, मुदा कंपनी ओहि पर ध्यान नहि द रहल अछि। एहि स आब सरकार एहि करार कए रद्द करि रहल अछि आ नव निविदा जल्द जारी करबाक प्रक्रिया मे लागि रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments