राष्‍ट्रपति लग अछि एएमयू कैम्पस मामला

पटना । केंद्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल कहला अछि जे बिहार क किशनगंज मे स्थापित भ रहल अलीगढ़ मुस्लिम विश्वविद्यालय (एएमयू) कैम्पस क सबटा कानूनी अड़चन दूर भ चुकल अछि। शीघ्र कैम्पस क निर्माण कार्य शुरू होएत। एएमयू कैम्पस क शीघ्र स्थापना लेल राशि विमुक्त करबाक मांग ल कए मंत्री लग पहुंचल बिहार क विभिन्न राजनीतिक दल क एकटा शिष्टमंडल से गप करैत सिब्बल कहला जे एएमयू कैम्पस क निर्माण मे आ रहल सबटा कानूनी बाधा दूर भ गेल अछि। निर्माण कार्य शुरू करेबा लेल राष्ट्रपति स मंजूरी मांगल गेल अछि। हुनकर स्वीकृति भेटला पर निर्माण कार्य शुरू क देल जाएत। किशनगंज क सांसद मौलाना असरारूल हक क नेतृत्व मे गेल शिष्टमंडल मे विधान परिषद मे नेता प्रतिपक्ष प्रो.गुलाम गौस सेहो शामिल छलाह।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. निर्माणकार्य यथाशिघ्र शुरु होयत से आशा ।

Comments are closed.