राष्ट्रीय नहीं रहल लालूक राजद

नई दिल्ली । चुनाव आयोग लालू प्रसाद क नेतृत्ववाला राष्ट्रीय जनता दल कए राष्ट्रीय पार्टी क रूप मे मान्यता समाप्त करि देलक अछि। ओना राजद अपन लालटेन बचा लेलक अछि। आयोग राजद कए चुनाव निशान लालटेनक इस्तेमाल करबाक छूट द देलक अछि। राजदक संग पांचटा अन्य दल क सेहो राज्य पार्टी क रूप मे मान्यता छीन लेल गेल अछि। बिहार आ झारखंड मे राज्य पार्टी क दर्जा प्राप्त जनता दल यूनाइटेड झारखंड मे राज्य पार्टी क दर्जा गवां देलक अछि।
चुनाव आयोग क सूत्र क कहब अछि जे हालांकि राजद अपन चुनाव चिन्ह क इस्तेमाल करि सकैत अछि मुदा ओकरा आकाशवाणी आ दूरदर्शन पर चुनाव प्रचार क समय आओर मुफ्त मे मतदाता सूची भेटबा सन सुविधा आब नहि भेट सकत।
राजद कए बिहार, झारखंड, मणिपुर आ नगालैंड मे मान्यता भेटल छल। मुदा झारखंड मे नीक प्रदर्शन नहि करबाक कारण ओकर मान्यता छिन गेल। राष्ट्रीय पार्टी क दर्जा पेबा लेल कोनो दल कए कम स कम चारिटा राज्य मे राज्य पार्टी क दर्जा हेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments