राष्ट्रीय औसत क बराबरी केलक बिहार

नई दिल्ली। स्वास्थ्य मंत्रालय क अनुसार प्रति एक हजार जन्‍मल नवजात मे शिशु मृत्यु दर क आंकड़ा 47 स तीन अंक घटकए 44 पर आबि गेल अछि। एहि मे बिहार 12 अंक क सुधार क राष्ट्रीय औसत क बराबरी केलक अछि। जखनकि राजस्थान, मध्य प्रदेश आ उत्तर प्रदेश सन राज्य शिशु मृत्यु दर क राष्ट्रीय औसत स काफी दूर अछि।
मंत्रालय दिस स जारी 2011 क आंकडा क आधार पर रजिस्ट्रार जनरल आफ इंडिया द्वारा जारी सैंपल रजिस्ट्रेशन सिस्टम क अक्टूबर क बुलेटिन क अनुसार गाम मे शिशु मृत्यु दर क आंकड़ा प्रति हजार 51 स घटि कए 48 आ शहर मे 31 स 29 पर आबि गेल अछि।
गोवा, मणिपुर आ केरल मे स्थिति बिहार स नीक अछि। मध्य प्रदेश मे 59, उत्तर प्रदेश आ ओडिशा मे 57/1000 तक अछि। जे शिशु मृत्यु दर क राष्ट्रीय औसत स 13 अंक बेसी अछि। असम, राजस्थान, मेघालय, छत्तीसगढ़ मे सेहो शिशु मृत्यु दर राष्ट्रीय औसत स बेसी अछि। एसआरएस सर्वे क तहत जन्म दर, मृत्यु दर, प्रजनन आ मृत्यु क तमाम राष्ट्रीय आ उप राष्ट्रीय स्तर क संकेतक कए शामिल कैल जाइत अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments