राष्ट्रपति 13 जुलाई कए रखतथि मधुबनी कए बीएड कॉलेज क आधारशिला

कल्पना वात्स्यायन
नई दिल्ली।
राष्ट्रपति प्रतिभा देवी पाटिल 13 जुलाई कए मधुबनी मे बनि रहल भवनाथ वेदमती चौधरी कालेज आफ एजुकेशन क आधारशिला रखतीह। एहि गपक जानकारी दैत एसके चैधरी एजुकेशन ट्रष्ट आ शंकरा ग्रुप आफ एजुकेशनक चेयरमैन संत कुमार चैधरी कहलथि अछि जे मिथिला मे प्रशिक्षित शिक्षकक अभाव कए देखैत मधुबनी में खोलल जा रहल भवनाथ वेदमती चौधरी कालेज आफ एजुकेशनक आधारशिला महामहिम राष्ट्रपति दिल्‍ली स बटन दबा कए रखतीह। शंकरा ग्रुप आफ एजुकेशनक चेयरमैन कहला जे बिहार मे बीएड शिक्षक लेल कालेजक अभाव कए देखैत भवनाथ वेदमती चैधरी बीएड कालेज कए एहि सत्र स शुरू करबाक लेल तेज गति स काज कैल जा रहल अछि । श्री चौधरी कहला जे एहि लेल राष्ट्रपति भवन में विशेष समारोह आयोजित कैल जाएत। ई पहिल अवसर अछि जखन मिथिला ओ बिहारक कोनो संस्थानक लेल राष्‍ट्रपति भवन मे समारोह आयोजित कैल जाएत। ओ कहला जे एहि अवसर पर महामहिम एसके चैधरी एजुकेशन ट्रष्ट द्वारा मधुबनी क बसैठ चानपुरा मे संचालित कृषि विज्ञान केन्द्र आ किसान प्रशिक्षण केन्द्रक नव प्रशासनिक भवनक सेहो उद्घाटन करतीह। चौधरी ईहो कहलथि जे एहि अवसर पर राष्ट्रपति किसान प्रशिक्षण केन्द्र मे मिथिलाक जानल मानल समाजसेवी स्वर्गीय भवनाथ चैधरीक प्रतिमाक अनावरण सेहो करतीह। श्रीमती पाटिल ट्रष्ट द्वारा प्रकाशित पत्रिका किसान इंटरनेशनलक विशेषांक लोकार्पण सेहो कैल जाएत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

3 टिप्पणी

  1. नीक समाद ।

    आ एहि तरहक आओरो बहुते प्रोफेशनल कॉलेज सभक आवश्यकता अछि जाहि सँ मिथिला वा बिहारक लोक केँ आन ठाम बौआए नञि पड़ए ।

Comments are closed.