राष्ट्रपति कए चाही अभिषेक क बनाउल रोबो कुक

भागलपुर। नवगछिया क बाल वैज्ञानिक क प्रतिभा राष्ट्रपति कए प्रभावित केलक अछि। 20 वर्षीय अभिषेक भगत खेनाई बनेबा लेल एकटा ऑटोमेटिक मशीन रोबो कुक बनेलथि अछि। जेकर किछु दिन पहिने मुगल गार्डेन, दिल्ली मे आयोजित नवप्रवर्तन प्रदर्शनी मे प्रदर्शन कैल गेल छल। एहि प्रदर्शनी क उद्घाटन राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल केने छलथि। एहि रोबो कुक   उपयोगिता स महामहिम एतबा प्रभावित भेलीह जे ओ एकर बुकिंग करा लेलथि अछि। मशीन मे रोटी छोड़िकए सबटा व्यंजन बनाउल जा सकैत अछि।  दसवीं कक्षा मे पढ़निहार अभिषेक ने 2008 मे एहि मशीन क डिजाइन तैयार करबा लेल जुटल छलाह, जे 2009 मे पूरा भेल। पूर्व राष्ट्रपति डॉ. एपीजे अब्दुल कलाम सेहो 2009 मे अभिषेक क एहि खोज कए तारीफ केने छलाह।  अभिषेक कहला जे आब हुनकर इच्छा अछि जे ओ अपन मुख्यमंत्री कए अन्य खोज आ प्रोजेक्ट स अवगत कराकए बिहारी खोज कए स्थान आ सम्मान दियेबा लेल पहल करथि। अभिषेक क एहि मशीन कए डिजाइन अमेरिकन कंपनी जेसमीना, दिल्ली कीनलक अछि जखन कि एलजी आ प्रेस्टीज द्वारा एकरा बाजार मे अनबाक पेशकश कैल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments