राष्ट्रपति अक्‍टूबर मे जेताह बिहार!

नई दिल्‍ली। राष्ट्रपति प्रंणब मुखर्जी संभवत: चारि अक्टूबर कए बिहार जेताह। ओ पटना मे कृषि रोडमैप क शुभारंभ करताह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकरा लेल राष्ट्रपति स आग्रह केलथि अछि। राष्ट्रपति भवन दिस स एखन एहि संबंध मे कोनो पुष्टि नहि भेल अछि, मुदा पटना मे मुख्य सचिव नवीन कुमार क अध्यक्षता मे राष्ट्रपति क यात्रा क तैयारी लेल बैसार भेल। एहि मे योजना विभाग क प्रधान सचिव विजय प्रकाश, गृह विभाग क प्रधान सचिव अमीर सुबहानी आ डीजीपी अभयानंद सहित कईटा अन्य महकमा क आला अधिकारी शामिल भेलाह। मुख्य सचिव सब अधिकारी कए तैयारी मे जुटबाक लेल कहलथि। आधिकारिक सूत्र क अनुसार राष्ट्रपति एकदिनक यात्रा पर पटना जेताह। कृषि रोडमैप क अलावा ओ पटना स किछु अन्य योजना क सेहो शुभारंभ क सकैत छथि। ज्ञात हुए जे जखन प्रंणब मुखर्जी वित्त मंत्री छलाह, तखने मुख्यमंत्री हुनका बिहार क नव कृषि रोडमैप क उद्घाटन क अनुरोध केने छलाह। तखन हुनकर समस्तीपुर जेबाक कार्यक्रम बनल छल। एहि बीच ओ राष्ट्रपति भ गेलाह। राष्ट्रपति बनलाक बाद मुख्यमंत्री हुनका एहि काज लेल बिहार एबाक निमंत्रण देलथि अछि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments