राष्टभाषाक मुह पर राज भाषाक थापड़

abu
मुंबई। महाराष्टï्र विधानसभा मे सोमदिन नवनिर्वाचित विधायक क शपथ ग्रहण समारोह क दौरनन लोकतंत्र क संग खेलबार करैवाला मनसेक चारिटा विधायक कए चारि साल लेल निलंबित करि देल गेल। निलंबित हुएवाला मनसेक विधायक मे राम कदम, रमेश, शशि आओर वसंत शामिल छथि। मुख्यमंत्री अशोक चव्हाण कहलथि अछि जे मनसेक विधायक सब जाहि प्रकर स सदन मे गुंडागर्दी केलथि ओकर खिलाफ सबटा दल एक मत स मनसे विधायक कए सदस्यता रद्द करबाक मांग केलथि अछि। सदन मे विशेषाधिकार हननक प्रस्ताव पास भेलाक बाद चारि टा विधायक कए चारि साल लेल निलंबित करि देल गेल अछि। हिनका सब कए विधानसभा परिसर मे एबा पर सेहो रोक लगा देल गेल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे मनसेक 13 टा विधायक सदन मे तखन हंगामा शुरू केलथि जखन सपा विधायक अबु आजमी हिंदी मे शपथ ल रहल छलाह। मनसे क विधायक सबस पहिने मंच पर राखल माइक तोडि़ देलक आ आजम कए शपथ लेबा स रोकबाक कोशिश केलक। मुदा आजम शपथ लेबा मे सफल रहलाह। एकर बाद मनसे विधायक आजम पर टूटि पड़लाह। हुनका दू-चारि थापड़ तक लगा देलथि। एहि दौरान महिला विधायक कए सेहो बेइज्जत कैल गेल। पूरा मामला करीब 20 तक चलैत रहल। एहि घटनाक बाद पूरा देश स्तब्ध भ गेल। मुंबई मे हाई अलर्ट घोषित करि देल गेल। राज ठाकरे शांत भाव स अपन कुत्ताक संग सामने आबि घटना पर औपचारिक बयान देलथि। अबु आजम सेहो संयमित बयान देलथि। मुदा उत्तरप्रदेश आ बिहार मे उबाल चरम पर अछि। मुलायम, लालू, पासवान सन नेता जाहि ठाम मनसे पर राजद्रोह क मुकदमा करबाक मांग केलथि अछि, ओहि ठाम नीतीश कुमार एकरा एकटा राष्टï्रीय कलंक कहलथि अछि। नीतीश कुमार कहलथि जे मनसे पर तत्काल प्रतिबंध लगाउल जाए। भाजपा सांसद शाहनवाज हुसैन कहलथि जे इ घटनाक जेतबा निंदा कैल जाए कम अछि। लोकतंत्र मे एहि प्रकार हिंसक विरोधक कोनो स्थान नहि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments