रामायण मंदिर क ऊचाई होयत आब ४४० फुट

ramayan mandirमोतिहारी : केसरिया-चकिया पथ मे कैथवलिया लग विराट रामायण मंदिर निर्माण स संबंधित भूमि निबंधन लेल बिहार राज्य धार्मिक न्यास पर्षद क अध्यक्ष सह महावीर मंदिर न्यास समिति पटना क सचिव आचार्य किशोर कुणाल गुरुदिन केसरिया पहुँचलथि। एहि क्रम मे केसरिया स्थित अवर निबंधन कार्यालय मे निबंधन क प्रक्रिया पूरा कैल गेल। एहि मौका  पर कुणाल  कहलथि जे मंदिर क ऊंचाई आब 316 फुट क बदला मे 440 फुट होएत। ओ कहलथि जे पश्चिम बंगाल क मायापुर मे इस्कान समिति लगभग 325 फुट ऊंच मंदिर क निर्माण करा रहल अछि, एहि लेल एहि मंदिर क उंचाई में बढ़ोतरी कैल जा रहल अछि। संबंधित नक्शा क तकनीकी पक्ष कए अंतिम रूप देबा लेल सूरत पठाउल गेल अछि। माइट क जांचक प्रक्रिया पूरा भ  चुकल अछि। कुणाल कहला जे बरसात क बाद निर्माण कार्य शुरू भ जाए, एहि लेल प्रयास करल जा रहल अछि। मूल मंदिर 90 एकड़ भू-क्षेत्र मे होएत, जखन कि पूरा परिसर क लेल 175 एकड़ भूमि क दरकार अछि। ओ कहलथि जे फिलहाल 90 एकड़ भूमि उपलब्ध अछि। शेष लेल अधिग्रहण क प्रक्रिया जारी अछि। एहि मौका पर अवर निबंधक स्वीटी सुमन क अलावा रामायण मंदिर निर्माण समिति के अध्यक्ष ललन सिंह, बबन सिंह, साधु तिवारी, मदन सिंह, कमल सिंह आदि उपस्थित छलाह।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments