राज पुस्‍तकालय क अंशमात्र देख अचंभित भेलाह वर्मा

दरभंगा । एतबा संपन्‍न पुस्‍तकालय आ एहि अवस्‍था मे…इ सवाल छल मुख्‍यमंत्री नीतीश कुमार क सांस्‍कृतिक सलाहकार पवन वर्मा क । ओ ललित नारायण मिथिला विश्‍वविद्यालय क नरगौना पैलेस मे स्‍थापित राज पुस्‍तकालय कए देख अचंभित छलाह । श्री वर्मा जाहि नरगौना क राज पुस्‍तकालय कए देख अचंभित भेलाह ओ दरअसल महाराजा क व्‍यक्तिगत पुस्‍तकालय क अंश अछि । गौरतलब अछि जे विश्‍वविद्यालय प्रशासन श्री वर्मा कए 500 साल स संग्रहित राज पुस्‍तकाल देखेबाक प्रयास नहि केलक, जेकरा पिछला साल डा कामेश्‍वर सिंह सामाजिक अध्‍ययन विज्ञान संस्‍थान मे बदलि देल गेल अछि। एहन मे इ सोचल जा सकैत अछि जे श्री वर्मा अगर नरगौना स्थित छोट सन पुस्‍तकालय देख एहन अचंभित भेलाह त असली राज पुस्‍तकालय देख हुनक कोन दशा होएत, जाहि मे एखनो एक लाख स बेसी पुस्‍तक अछि। आ पुस्‍तकक कोनो सूची पिछला 50 साल मे तैयार नहि कैल जा सकल अछि । 19वीं शताब्‍दी मे एहि राज पुस्‍तकालय क अध्‍यक्ष म.म. डा सर गंगानाथ झा छलाह आ वर्तमान अध्‍यक्ष इंद्रकांत झा एहि मास क बाद सेवानिवृत भ रहल छथि ।
राज पुस्‍तकालयक छोट अंश देखा मिथिला विश्‍वविद्यालय प्रशासन एक बेर फेर अपन चरित्र उजागर क देलक । मुदा छोट अंश देख अचंभित भेल श्री वर्मा कहला जे एतबा समृद्ध पुस्‍तकालय आजुक तारीख मे उत्‍तर भारत मे भेटब कठिन अछि। एहि पुस्‍तकालय मे त एहन कईटा पुस्‍तक देखा रहल अछि जे बिहार नहि बल्कि देश मे दोसर कोनो पुस्‍तकालय मे संभवत: आब उपलब्‍ध नहि अछि। श्री वर्मा कहला जे एकरा देख जेबता खुशी भेल ओतबे दुख सेहो भेल। खुशी एहि ल कए जे दरभंगा मे एतबा समृद्ध पुस्‍तकालय अछि आ दुख इ देख जे एकर सही ढंग से रख रखाव नहि भेला स इ बर्बाद भ रहल अछि । ओ कहला जे एकरा बचेबा लेल प्रयास कैल जाएत। श्री वर्मा कहला जे एकरा लेल ओ मुख्‍यमंत्री स व्‍यक्तिगत तौर पर गप करताह । एहि दौरान हुनक संग कुलपति सेहो छलाह, जे पुस्‍तकालय क एहि स्थिति पर कोनो सफाई देबा मे असमर्थ छलाह ।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments