राज क बाद शिवराज

siv
बिहार कए गरिया सत्ता हासिल करबाक राज नीति
सतना/पटना। पहिनेे महाराष्टï्र क राज ठाकरे, आब मध्यप्रदेश क मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान। उत्तर भारतीय खास कर उत्तर प्रदेश आ बिहार वाला कए विरोध करि पहिनेे त महाराष्टï्र क राजनीति मे राज ठाकरे ‘राजÓ केलक, एकरा बाद मध्य प्रदेश क मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान सेहो ओहि रास्ता पर चलि पड़ला, मुदा ओ बिसरी गेलाह जे मध्यप्रदेश क शरद यादव एखनो बिहार मे राजनीतिक नौकरी पाउने छथि। हुनकर सार्वजनिक सभा मे बिहारी कए खिलाफ देल गेल बयान एक टा नया विवाद ठार करि देलक। बिहार मे भाजपा आ जदयूक सरकार अछि। जहि ठाम भाजपाक चौहान नेता छथि ओहि ठाम मध्यप्रदेशक शरद यादव जदयूक अध्यक्ष हेबाक संग-संग मधेपुराक सांसद छथि। एहन मे भाजपा आ जदयू गठबंधन मे दरारक संभावना बढि़ गेल अछि।
ज्ञात हुए जे सतना मे एकटा कार्यक्रम क अवसर पर मध्यप्रदेश कए मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान स्थानीय लोग कए रोजगार मुहैया कराब कए नाम पर एतबा जोश में आबि गेला जे बिहारी के खिलाफ सब किछु बाजि देलाह। हद त तखन भ गेल, जखन मुख्यमंत्री कहैत-कहैत इ तक कहि देलाह जे कारखाना सतना मे लागए आ नौकरी बिहारी कए भेटत, हम एहन नहि हुए देब। मुख्यमंत्री इ सेहो कहला जे एहि ठाम स्थापित होइ वाला कारखाना मे बिहार क कोनो लोक कए नौकरी नहि देल जाइत।
मुख्यमंत्रीक एहि बयान स बिहार भाजपाक नेता त नुका रहलाह। जेना-तेना जदयूक प्रदेश अध्यक्ष क एकटा बयान आइल। मुदा दोसर दिस विपक्ष एकरा एकटा मुद्दा बना लेलक। लोक जनशक्ति पार्टी (लोजपा) क अध्यक्ष रामविलास पासवान कहला जे चौहान क बयान बहुत दुर्भाग्यपूर्ण अछि। जे व्यक्ति संवैधानिक पद पर बैठस अछि, हुनका एहि तरह क बयान नहि देबाक चाहि। हुनका अपन पद स तत्काल इस्तीफा द देबा क चाहि।
राष्ट्रीय जनता दल प्रमुख आ पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद कहला जे शिवराज कए अपन एहि भड़काऊ भाषण क लेल माफी मांगबाक चाहि। लालू कहला जे एहि तरह क मानसिकता वाला लोग देश क लेल घुन क भांति अछि, जे धीरे-धीरे राष्ट्र कए अंदर स खोखला क रहल अछि। लालू कहला जे एहि स साबित होइत अछि जे शिवेसना, मनसे हुनकर शाखा अछि आ इ सब संविधान कए मूल भावना कए निरादर क रहल छथि। लालू सवाल कएला जे आखिर बिहार कए की अपराध अछि, जे सब कियो एकर पाछु पडि़ जाएत अछि।
शिवराज सिंह चौहान क इ बयान भाजपा क लेल मुश्किल ठार करि देलक अछि। एक दिस भाजपा क प्रवक्ता प्रकाश जावेड़कर कहला जे शिवराज क बयान कए लकए गलतफहमी अछि। ओ कहलथि जे देश क अधिकतर राज्य मे नौकरी क लेल राज्य क निवासी कए प्राथमिकता देब क कानून अछि। एहन मे चौहान क बान कए गलत रूप मे पेश कैल जा रहल अछि। दोसर दिस सूत्र कहैत अछि जे गुप्त रूप से कालाकमान चौहान कए एहि बयान लेल फटकार लगौलथि अछि। कहल जा रहल अछि जे भाजपाक बिहार शाखा एकरा ल कए काफी गंभीर अछि आ ओ नीतीशक कोपक सामना करबा स बचबाक बाट ताकि रहल अछि। जदयू क राष्टï्रीय अध्यक्ष आ मध्यप्रदेशक क मूल निवासी शरद यादव सेहो बयान देबा स भागल रहलाह। ल द कए जदयूक प्रदेश अध्यक्ष ललन सिंह कहला जे मुख्यमंत्री शिवराज सिंह चौहान कए कुर्सी पर बैसि कए एहि तरह क बयान नहि देबाक चाहि। भाजपा कए चाहि कि ओ शिवराज स जवाब तलब करै। ओनो मुख्यमंत्रीक बयान क सब गोटे कए इंतजार अछि। जे राति तक नहि आयल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments