राज्य स्तर क अंतर आवासीय खेलकूद प्रतियोगिता शुरू

बोधगया (गया) । मगध विश्वविद्यालय परिसर स्थित स्टेडियम मे द्वितीय राज्यस्तरीय अंतर आवासीय खेलकूद प्रतियोगिता 2009 गुरुदिन स शुरू भ गेल। तीन दिवसीय प्रतियोगिता आरंभ होबै स पूर्व प्रतिभागी मार्च पास्ट केलाह। प्रतियोगिता क पहिल दिन शॉटपुट आ 8 सौ मीटर पुरुष आ महिला दौड़ फाइनल क आयोजन कएल गेल। शॉटपुट मे कटिहार क शिवलाल हंसदा प्रथम, पप्पु बैठा (चंपारण) द्वितीय और अनुज कुमार मंडल (कटिहार) तृतीय स्थान पउलथि। 8 सौ मीटर पुरुष वर्ग क दौड़ मे राजगीर क कुन्दन कुमार प्रथम, मंटू कुमार मंडल (कटिहार) द्वितीय और त्रिलोकी पासवान तृतीय स्थान आ 8 सौ मीटर महिला वर्ग क दौड़ मे गया क निर्मला कुमारी प्रथम, पटना क खुशबु कुमारी द्वितीय आ मुंगेर क संगीता कुमारी तृतीय स्थान पउलथि। एहि प्रतियोगिता मे सूबा क 8 प्रमंडल क प्रतिभागी भाग ल रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments