राज्य मे निवेश अपार संभावना: एसोचेम

पटना। एसोसियेटेड चौम्बर्स आफ कामर्स एण्ड इंडस्ट्री ऑफ इंडिया (एसोचेम) राज्य क कारपोरेट सेक्टर मे पांच लाख करोड़ क निवेश क लक्ष्य निर्धारित केलक अछि। संगठन क अध्यक्ष दिलीप मोदी कहला अछि जे इ काज पांच साल मे होएत। ओ कहला जे एकरा लेल अप्रैल मे निवेश मेला आयोजित होएत। इ सिलसिला 2015 तक प्रत्येक दू साल पर चलत। कृषि आ शिक्षा क क्षेत्र मे बिहार मे निवेश क असीम संभावना अछि। शिक्षा क्षेत्र मे कारपोरेट सेक्टर पटना सहित छह नगर निगम क 50-50टा स्कूल कए गोद लेबा लेल तैयार अछि। कलस्टर योजना मे 14टा जिला मे 400 करोड़ निवेश होएत। मोदी क दावा अछि जे एसोचेम क माध्यम स एहि ठाम टका लगोनिहार कए मात्र एकरारनामा पर हस्ताक्षर तक सीमित नहि राखल जाएत, बल्कि एकरा मूर्त रूप देल जाएत। ओ कहला जे यद्यपि ओ बिहार कए एखन बुझबा लेल आयल छथि। ओ कहला जे बिहार मे सबस पहिने एजुकेशन सिटी स्थापित कैल जेबाक चाही। एहि संबंध मे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स सेहो भेंट करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments