राज्य निधि स नौ किमी बाईपास क फोरलेनिंग काज शुरू भेल

पटना। एनएचडीपी फेज-3 क तहत पटना-बख्तियारपुर सड़क क फोरलेनिंग मे केंद्र क टालू रवैया स त्रस्त पथ निर्माण विभाग राजधानी क बाईपास स्थित सड़क क फोरलेनिंग क काज शुरू करि देलक अछि। 44 करोड़ क एहि परियोजना क तहत अनिसाबाद स पहाड़ी तक क सड़क कए फोर लेन बनाउल जाएत। फिलहाल इ सड़क सात मीटर चौड़ा अछि। कतहु-कतहु त इ चौड़ाई पांच मीटर अछि। फोरलेनिंग क बाद इ सड़क सात मीटर बायां आ सात मीटर दायां चौड़ा भ जाइत। बीच मे दू मीटर क सेंट्रल वर्ज होइत। दूनू किनारा पर एक-एक मीटर क फ्लैंक अलग स होइत।
पथ निर्माण मंत्री डा. प्रेम कुमार कहलथि जे एनएच-31 क इ परियोजना लंबा अवधि स अटकल पड़ल छल। आखिरकार सरकार तय केलक जे राज्य निधि स एहि सड़क कए चौड़ीकरण कराउल जाए। काज क आवंटन क बाद निर्माण कंपनी काज शुरू करि देलक अछि। पंद्रह माह क भीतर फोरलेनिंग क काज पूरा करबाक लक्ष्य अछि। फिलहाल सड़क चौड़ीकरण क लेल बाईपास स कूड़ा हटाएब आ माइट काटि कए ओकरा दुरुस्त करबाक काज शुरू कएल गेल अछि। एहि कारण स कोनो तरह क दुर्घटना नहि हुए, तेकरा लेल कारगेटेड सीट लगा कए घेरा बना देल अछि, जेहि ठाम सड़क बनाउल जा रहल अछि। अधीक्षण अभियंता कए हर माह इ सड़क निर्माण क प्रगति रिपोर्ट मुख्यालय कए सौंपबाक अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें