राज्य नवनिर्माण लेल एकजुट भ जाउ : राज्यपाल


दरभंगा । राज्यपाल देवानंद कुवंर बिहारवासी स राज्य क नवनिर्माण मे एकजुट हेबाक आह्वान करैत कहला जे राज्य क मानव संसाधन एकर सबस पैघ पूंजी अछि। कुंवर आइ एहिठाम बिहार दिवस क मौका पर तीन दिवसीय बिहार अंतर विश्वविद्यालय सांस्कृतिक प्रतियोगिता तरंग 2010 क उदघाटन करबाक बाद उपस्थित जनसमूह कए संबोधित करैत कहला जे आजुक दिन राज्य क परिप्रेक्ष्य मे काफी पैघ अछि, किया कि इ बिहार क लेल उत्सव क दिन छी। देश मे भले अलग- अलग 28 राज्य भ गेल, मुदा भारत एक अछि। राज्यपाल कहला जे राज्य सब मे भाषा, साहित्य, सभ्यता आ संस्कृति अलग- अलग अछि। एकर बावजूद भारत एक अछि किया कि एहि ठामक लोक अपन सभ्यता आ संस्कृति कए हमेशा मन रखैत छथि। जे अपन संस्कृति कए बिसरी जाइत अछि ओ अपन माइ-बाप कए बिसरी जाइत अछि। ओ कहला जे आई पूरा विश्व ग्लोबल विलेज भ चुकल अछि। मुदा स्थानीय पहचानक अपन महत्व अछि। बिहार मे प्रतिभा क कमी नहि अछि। एकरा निखारबाक जरूरत अछि। ओ छात्र स जीवन क सब क्षेत्र मे अपन कौशल आ जौहर देखेबाक आह्वान केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments