राजेन्द्र कृषि विवि कए केन्द्रीय विवि बनेबा पर सहमति

पटना। केन्द्र सरकार पूसा स्थित राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय कए केन्द्रीय विश्वविद्यालय क दर्जा देबा पर सैद्धांतिक सहमति प्रदान करि देलक अछि। एहि सम्बन्ध मे राज्य सरकार स ड्राफ्ट मांगल गेल छल, जे पठा देल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे चारि वर्ष मे नव कृषि विश्वविद्यालय आ कॉलेज खोलल जाएत, जे पर्याप्त अछि। ओ कहला जे केन्द्र द्वारा सब जिला मं कृषि विज्ञान केन्द्र खोलल जा रहल अछि, जेकर संचालन राजेन्द्र कृषि विश्वविद्यालय आ स्वयंसेवी संगठन क माध्यम स होएत। ओ कहला जे सबौर मे कृषि विश्वविद्यालय आ डुमरांव आओर सहरसा मे कृषि कॉलेज खुलत। ओ स्पष्ट कहला जे मधुबनी मे कृषि महाविद्यालय खोलबाक कोनो प्रस्ताव नहि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments