राजनेता कए स्पोट्र्समैन स सीख लेबाक चाहि

30NOV41u
पटना : राजनीति मे बढ़ैत भ्रष्टाचार पर निराश स्थानीय सांसद सह सिने अभिनेता शत्रुघ्न सिन्हा कहलथि जे राजनेता कए स्पोट्र्समैन स सीख लेबाक चाहि। खिलाड़ी खेल भावना क परिचय देइत छथि, आ बढिय़ा प्रदर्शन करि देश क गौरव बढ़बैत छथि। राजनीति मे एहन बहुत कम देखबा मे भेटत अछि। पाटलिपुत्र टेनिस कोर्ट पर चौथी डॉ. राजेन्द्र प्रसाद ऑल इंडिया रैंकिंग टेनिस प्रतियोगिता क उद्घाटन करबा लेल पहुंचल सिन्हा कहला जे एहि ठाम हम युवा खिलाड़ी कए हौसला अफजाई करबा लेल आएल छी। हम अभिभावक स गुजारिश करब जे ओ अपन बच्चा कए टेनिस कोर्ट पर भेजबा मे संकोच नहि करथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments