राजनाथ जेताह अगिला सप्ताह, आडवाणी पर बढ़ल दबाव

सरिता सुमन
नई दिल्ली। भाजपा क राष्टï्रीय अध्यक्ष राजनाथ सिंह कार्यकाल पूरा हेबा स पूर्वहि अपन पद स त्यागपत्र देबाक इच्छा प्रकट केलथि अछि। हुनकर कार्यकाल 31 दिसंबर क खत्म भ रहल अछि। मुदा सिंह चाहैत छथि जे अगिला सप्ताह ओ अपन पद त्याग दथि। सिंह क एहि कदम कए राजनीतिक दलान पर आडवाणी पर दबाव बनेबाक रूप मे देखल जा रहल अछि। ओना राजनाथ क कहब अछि जे एहि संबंध मे कोनो फैसला लेब स पूर्व पार्टी क पैघ नेता सब स विचार-विमर्श करताह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें