राजधानी लेल रिंग रोड अगिला दू साल मे

पटना। राजधानी लेल रिंग रोड क निर्माण अगिला दू साल मे शुरू भ जाएत। एहि योजना पर सरकार आगू बढि रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पथ निर्माण विभाग क्षरा पटना क प्रस्तावित रिंग रोड क संभावित एलायनमेंट क पावर प्वाइंट प्रजेंटेशन देखलथि अछि। मुख्यमंत्री पथ निर्माण विभाग कए एहि संबंध मे परामर्श देलथि अछि जे ओ एहि संदर्भ मे नगर विकास विभाग क संग सेहो मंत्रणा करि लेथि। मुख्‍यमंत्री कहला जे एहि क्रम मे नव मास्टर प्लान क विशेष रूप स ध्यान राखल जाए। दीघा स दीदारगंज क बीच गंगा क कछैर मे प्रस्‍तावित सड़क पर सेहो मुख्यमंत्री अधिकारी कए परामर्श देलथि। मुख्यमंत्री एलिवेटेड सड़क पर विचार करबा लेल कहलथि। पथ निर्माण विभाग हालहि मे राजधानी क रिंग रोड क संभावित एलायनमेंट क प्रारूप तैयार केलक अछि। पहिल बेर मुख्यमंत्री कए एकर प्रजेंटेशन देखाउल गेल। प्रस्तावित रिंग रोड मे राजधानी क बाहरी हिस्‍सा कए शामिल कैल गेल अछि। एहि मे दानापुर लग गंगा नदी पर एकटा पुल सेहो शामिल अछि। रिंग रोड क अलावा मुख्यमंत्री राजधानी आ एहि स सटल हिस्‍सा मे प्रस्तावित कईटा सड़क आ पुल परियोजना क बारे मे पथ निर्माण मंत्री नंदकिशोर यादव आ विभागीय सचिव प्रत्यय अमृत क संग विमर्श केलथि। एहि दौरान गांधी सेतु पर जाम पर सेहो चर्चा भेल। एहि दौरान पथ निर्माण विभाग हुनका कच्ची दरगाह स राघोपुर क बीच बनि रहल छह लेन क पुल क बारे मे सेहो जानकारी देलक। बैसार मे पीपीपी मोड पर बख्तियारपुर स ताजपुर क बीच बनि रहल पुल स संबंधित एकटा लघु फिल्म सेहो मुख्यमंत्री कए देखाउल गेल। मुख्यमंत्री एहि पुल क निर्माण मे भौतिक उपलब्धि पर संतोष जतेलाह। ओ कहला जे एहिना समय समय पर योजनाक समीक्षा हेबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments