राजद क मंच खसल, लालू कए लागल चोट

पटना। भोजपुर क उदवंतनगर थाना क्षेत्र क जीरो माइल गांव क समीप वीर कुंवर सिंह परिसर मे शनिदिन पटना प्रमंडलीय कार्यकर्ता सम्मेलन चलि रहल छल कि अचानक मंच खसि गेल। मंच खसला स ओहि पर सवार राजद प्रमुख लालू प्रसाद सहित सबटा नेता नीख खसि गेलाह आ सब कए चोट लागल। लालू प्रसाद कए पैर मे हल्का चोट लागल अछि, जखन कि हाथ मे मोच पडि़ गेल अछि। हुनकर कुर्ता सेहो फाटि गेल। दुर्घटना मे पार्टी क संदेश क्षेत्र क विधायक विजेन्द्र यादव सेहो घायल भ गेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments