राजग आ राजदक नाव पर भेल सवार, तखनो डूबल कांग्रेस

पटना। बिहार मे कांग्रेस की स्थिति की भ गेल अछि एकर अंदाजा एहि स लगाउल जा सकैत अछि जे राजग आ राजद क समर्थनक क बावजूद विधान परिषदक चुनाव मे कांग्रेस नेता अरूण सिंह चुनाव हारि गेलाह। ओना विधानसभा चुनाव क भांति विधान परिषद क चुनाव मे सेहो राजग क परचम लहरायल। सारण स्नातक क्षेत्र स जदयू क डा. महाचंद्र प्रसाद सिंह आ कोसी शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र स जदयू क संजीव कुमार सिंह विजयी रहलाह। गया शिक्षक निर्वाचन क्षेत्र क परिणाम चौंका देलक। एहि ठाम स कांग्रेसी दिग्गज प्रो.अरुण कुमार चुनाव हारि गेलाह। जखनकि हुनका राजग आ राजद क समर्थन भेटल छल। मुदा जनता कोनो हाल मे कांग्रेस कए जेना वोट नहि देबा लेल शपथ खा चुकल अछि। एहि ठाम स निर्दलीय डा.संजीव श्याम सिंह जीत गेलाह। गया स्नातक क्षेत्र स भाजपा प्रत्याशी पूर्व मंत्री अवधेश नारायण सिंह सेहो जीत गेलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments