राजकमल चौधरी क 48 पूण्यतिथी पर भेल हुनक रचनावली क लोकापर्ण

0
30
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली । आय सांझ राजकमल चौधरी क 48म पूण्यतिथी पर एक दिस जतय सहरसा क जिला परिषद स्थि‍त रैनबो मेरैज हाउस मे ‘’राजकमल चौधरी – सृजन आ जीवन’’ पर संगोष्ठी भए रहल छल । ओतही दिल्ली क मण्डी हाउस स्थि‍त सभागार मे राजकमल चौधरी क संपूर्ण रचनावली क लोकार्पण भए रहल छल । आठ खंड मे प्रकाशि‍त एहि रचनावली कए देवशंकर नवीन संपादित केने छथि‍ ।  कार्यक्रम क अध्यक्षता हिन्दी साहित्य क प्रखर आलोचक नामवर सिंह केने छथि‍ ।  एहि लोकापर्ण क अवसर पर राजकमल प्रकाशन क सत्यानंद निरूपम जी जानकारी दैत कहलाह जे रचनवली पर राजकमल प्रकाशन 15 से 30 जून तक विशेष छूट देने अछि । आठ हजार कीमत क सजिल्द संस्करण बला रचनावली मात्र  4999 आ तीन हजार क कीमत बला पैपरबैक संस्करण मात्र 1999 मे उपलब्ध अछि । एम्हर सहरसा मे सांझखन सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन भेल जाहि मे मैथि‍ली क सुप्रसिद्ध गायक पवन नारायण क प्रस्तुति पर श्रोता झुमी उठल ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page