रांची-पटना लेल 15 स एयर टैक्सी सर्विस

रांची । पिनाकल एयर प्राइवेट लिमिटेड (पीएपीएल) 15 अगस्त स झारखंड आ बिहार क लेल एयर टैक्सी सर्विस शुरू करि रहल अछि। फालकॉन 2000 एलएक्स, बेल 407 (हेलीकॉप्टर) क कंपनी उपयोग करत। शिडयूल क घोषणा एखन नहि भेल अछि। कंपनीक अधिकारीक कहब अछि जे अगिला एक-दू दिन मे एकर घोषणा करि देल जाएत। डीजीसीए द्वारा पिनाकल कए नन-शिडय़ूल ऑपरेटर परमिट जारी कैल अछि। कंपनी क निदेशक (ऑपरेशन) रितेश सिन्हा कहला जे रांची-पटना, रांची-जमशेदपुर, रांची-धनबाद, रांची-देवघर, रांची-पलामू क लेल सर्विस शुरू भ रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments