रांची क बदला वैशाली मे हुए झंडोत्तोलन : रघुवंश


पटना। राजद सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह विभाजन क बाद रांची क बदला वैशाली मे 15 अगस्त आ 26 जनवरी कए राष्ट्रीय ध्वज क झंडोत्तोलन क अनुरोध केलक अछि। ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए भेजल पत्र मे कहलथि जे 2010 स एहन व्यवस्था कएल जाए जे 26 जनवरी कए पटना क गांधी मैदान मे राज्यपाल आ ओहि दिन वैशाली मे मुख्यमंत्री द्वारा झंडोत्तोलन कएल जाए। एहि प्रकार 15 अगस्त कए पटना मे मुख्यमंत्री आ ओहि दिन वैशाली मे राज्यपाल द्वारा राष्ट्रीय ध्वज फहराउल जाए। ओ कहलथि जे अविभाजित बिहार मे उक्त तिथि कए राज्यपाल आ मुख्यमंत्री रांची मे झंडोत्तोलन करैत छलाह। ओ कहलथि जे एजन काज स आगू क पीढ़ी कए जानकारी भेट सकत जे विश्व मे सर्वप्रथम गणतंत्र क शुरुआत वैशाली स भेल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments