रांची आइआइएम आउत बिहार

एहि तरहक प्रस्ताव ज्यों आउत, त सरकार निश्चित रूप स ओहि पर विचार करत, फिलहाल एहन कोनो सूचना शिक्षा विभाग कए नहि भेटल अछि : पीके शाही, शिक्षा मंत्री, बिहार

प्रस्तावित स्थल-
पटना मे हिंदी भवन मुख्यालय क लेल बेहतर अछि, एतय स चंद्रगुप्त प्रबंधन संस्थान चलैत अछि, बिहटा मे सेहो जमीन क जुगाड भ सकैत अछि। आइआइटी आ एनआइटी एतय खुजय बला अछि। राजगीर, हाजीपुर, फतुहा मे सेहो सरकारी प्रयास स जमीन भेट सकैत अछि। ओना पूर्णिया आ दरभंगा पर सेहो विचार भ सकैत अछि।

राँची : जमीन नहि भेटबा स परेशान आइआइएम, रांची आब बिहार दिस एबाक योजना बना रहल अछि। संस्थान क मुख्यालय बिहार मे होएत, जखन कि रांची मे स्टडी सेंटर होएत। झारखंड सरकार स जमीन उपलब्ध नहि हेबाक कारण इ स्थिति उत्पन्न भेल अछि। संस्थान क निदेशक प्रो एमजे जेवियर कहलथि अछि जे एहि संबंध मे एकटा प्रस्ताव तैयार करल जा रहल अछि। प्रस्ताव पर जल्द बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार स गप कैल जाएत। नीतीश कुमार केंद्र सरकार स कईक बेर आइआइएम खोलबाक मांग क चुकल छथि। प्रो जेवियर कहला जे बहुत प्रयासक बावलूद झारखंड सरकार एहि संस्थान लेल नगड़ी मे 76.77 एकड़ जमीन उपलब्ध करा सकल। ओहि जमीन पर संस्थान अपन चहारदीवारी सेहो बना देलक। एहि मे एक करोड 75 लाख टका सेहो खर्च भेल। मुदा बाद मे विवाद क कारन एहि संस्थान स नगड़ी क जमीन वापस ल लेल गेल। एकर बाद सरकार नामकुम क राजाउलातू मे जमीन देबाक गप कहलक , मुदा जखन कागज क जांच कराओल गेल, त पता लागल जे जमीनक दस्तावेज सही नहि अछि। प्रो जेवियर कहला जे अपन भवन नहि भेला स कोर्स बढेबा मे सेहो परेशानी भ रहल अछि। आइआइएम क अपन भवन होएत, एहि लेल केंद्र सरकार संस्थान कए 700 करोड़ देबाक निर्णय लेने छल। केंद्र सरकार अपन पंचवर्षीय योजना क तहत फंड उपलब्ध करा देने छल मुदा जमीन नहि भेटबा स ओ राशि नहि भेटि सकल। एखन पांचटा कोठली मे आइआइएम क पांचटा कोर्स (पीजीडीएम, पीजीडीएचआरएम, पीजीइएक्सपी, एफपीएम आ एनर्जी मैनेजमेंट) क अलावा शॉर्ट टर्म कोर्स सेहो संचालित भ रहल अछि। एकरा लग अपन छात्रावास सेहो नहि अछि।

रैंकिंग मे सबस आगाँ : आइआइएम(आर) क अलावा देश मे पांच स्थान पर रायपुर, रोहतक, उदयपुर, काशीपुर आ तिरुचिरापल्ली मे खुजल अछि। एहि संस्थान मे रांची क रैंकिंग सबस ऊपर अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments