रविदास आब महादलितक सूची मे

पटना |मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व वाला बिहारक राजग सरकार राज्य मे अनुसूचित जातिक सबस पैघ समूह रविदास (प्रतिबंधित शब्द चमार) कए मंगलदिन महादलित क सूची मे शामिल करबाक फैसला लेलक अछि। सरकारी प्रवक्ताक अनुसार एहि स विभिन्न योजनाक लाभ प्राथमिकताक आधार पर रविदास लोकनि कए सेहो भेटि सकत। नीतीश कुमार क एहि राजनीतिक काट तकबा लेल बहुत दिन स राजद आ लोजपा परेशान अछि। महादलित कए आरक्षण मे प्राथमिकता प्रदान करि नीतीश बिहार मे दलित आंदोलनक दशा आ दिशा दूनू बदलि देलथि अछि। एहन मे कहल जा सकैत अछि जे रविदास कए महादलित क दर्जा द नीतीश एकटा आओर समूह कए अपना दिस अनबाक प्रयास केलथि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments