रद्द नहि भेल अछि नदी जोड़बाक योजना : केंद्र

नई दिल्ली। सरकार आइ एहि गप स इनकार केलक जे देश क नदी कए जोड़बाक लेल शुरू भेल महत्वकांक्षी योजना विनाशकारी अछि। जलसंसाधन राज्यमंत्री विन्सेंट पाल राज्यसभा मे एकटा प्रश्न क लिखित उत्तर मे इ सेहो साफ कैलथि जे नदी कए जोड़बाक योजना कए रद्द नहि कैल गेल अछि। उल्लेखनीय अछि जे एहि योजना क बारे मे कांग्रेस महासचिव राहुल गांधी आ अनेक पर्यावरणविद शंका व्यक्त केने छलाह। मुदा कोसीक क्षेत्र मे रहनिहार लोकक कहब अछि जे एहि योजना स मिथिला बाढ़ क शाप स मुक्त भ सकैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments