रघुवंश लिखलथि मनमोहन कए पत्र

पटना। महात्‍मा गांधी सेतु लेल आब बिहार मे दलगत राजनीति स उपर उठि नेता केंद्र पर दबाव बना रहल छथि। देर स सही मुदा बिहारक हित लेल विभिन्‍न दलक सांसद एकजुट हुए लगलाह अछि। एहि क्रम मे पहल केलथि अछि राजद क राष्ट्रीय उपाध्यक्ष आ वैशालीक सांसद रघुवंश प्रसाद सिंह। ओ प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स पटना मे गंगा नदी पर निर्मित महात्मा गांधी सेतु कए दुरुस्त करि ओकरा खसबाक संभावित हादसा कए टालबाक अनुरोध केलथि अछि। श्री सिंह प्रधानमंत्री कए लिखल पत्र मे कहलथि अछि जे शीघ्र देश विदेश क विशेषज्ञ स राय-मशविरा करि पुल क उपरी संरचना कए ठीक कराउल जाए। केन्द्र सरकार अगर इ नहि कए सकैत अछि त कम स कम राज्य सरकार कए अनापत्ति प्रमाण पत्र द कए पुल दुरुस्त करबा मे सहायता प्रदान कैल जाए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments