रक्‍सौल मे बनत हवाई अड्डा, मुजफ्फरपुर क टूटल उम्‍मीद

नई दिल्ली : केन्द्र सरकार  रक्‍सौल मे हवाई अड्डा बनेबा लेल तैयार भ गेल, मुदा  मुजफ्फरपुर मे हवाई अड्डा बनेबाक संभावना खत्‍म भ गेल । केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री अजित सिंह राज्यसभा मे प्रश्नकाल क दौरान पूरक प्रश्‍न क उत्तर दैत कहला जे मुजफ्फरपुर लेल सर्वेक्षण कराउल गेल छल, मुदा वायु अड्डा प्राधिकरण अपन रिपोर्ट मे एकर संभावना कए खारिज क देलक अछि। मुदा ओहि इलाका मे जे नव एयरपोर्ट बनेबाक सूची अछि ताहि मे रक्सौल शामिल अछि । केन्द्रीय नागरिक उड्डयन मंत्री कहला जे बिहार मे 28टा रनवे अछि जाहि मे स मात्र तीनटा यातायात स सक्रिय अछि। ज्ञात हुए जे मुजफ्फरपुर आ रक्‍सौल एकहि प्रमंडल मे अछि जखन कि मुजफ्फरपुर स मात्र 60 किमी दूर दरभंगा अछि ताहि ठाम बिहार क सबस पैघ रनवे अछि ।

पटना एयरपोर्ट क संबंध मे मंत्री कहला जे ओ बिहटा लग अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा बनेबा लेल तैयार छथि, मुदा राज्य सरकार एकरा लेल जमीन उपलब्ध नहि करा रहल अछि। ओ कहला जे पटना हवाई अड्डा क आब विस्तार नहि कैल जा सकैत अछिमुदा बिहटा लग एकटा अंतरराष्ट्रीय हवाई अड्डा बनाउल जा सकैत अछि आ एहि लेल केंद्र सरकार तैयार अछि मुदा राज्य सरकार एहि पर गंभीर नहि अछि आ एहि संबंध मे एखन धरि कोनो प्रस्ताव नहि पठेलक अछि। ओ साफ कहलाह जे रक्षा विभाग लग कनि जमीन अछि, मुदा ओहि स हवाई अड्डा नहि बनत। एहि लेल जा धरि राज्य सरकार जमीन नहि देत ता धरि बिहटा मे हवाई अड्डा नहि बनत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.