रक्षा मंत्रालय द देलक जमीन

नई दिल्ली। बिहार मे केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबा लेल रक्षा मंत्रालय केंद्र सरकार कए गया मे अपन जमीन द देलक अछि। हलांकि बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश एखनो मोतिहारी मे केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबाक मांग पर अड़ल छथि। मानव संसाधन विकास मंत्रालय क अधिकारी क कहब अछि जे गया मे केंद्रीय विश्वविद्यालय लेल रक्षा मंत्रालय क करीब 300 एकड़ जमीन भेट गेल अछि। ओ कहला जे इ जमीन रक्षा मंत्रालय क छी जाहि लेल जमीन पर कोनो खर्च नहि आउत। बिहार केंद्रीय विश्वविद्यालय क कुलपति सेहो कहला अछि जे हुनका एहि गपक सूचना भेटल अछि जे विश्वविद्यालय लेल गया मे जमीन भेट गेल अछि। गौरतलब अछि जे बिहार मे केंद्रीय विश्वविद्यालय स्थापित करबाक प्रश्न पर केंद्रीय मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल आ बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच दू साल स पत्राचार चलि रहल अछि। एक दिस सिब्बल क कहब छल जे केंद्रीय विश्वविद्यालय लेल एहन स्थान क चुनाव कैल जाए जे वायुमार्ग स जुड़ल हुए त दोसर दिस नीतीश कुमार एहि संस्‍थान कए बापूक कर्मभूमि मे स्‍थापित करबाक मांग करि रहल छथि। सवाल अछि केंद्र बिहार मे केंद्रीय विश्‍वविद्यालय गया मे खोलबाक जिद केवल एहि खातिर केलक अछि किया त ओकरा गया स सैन्‍य अकादमी मध्‍यप्रदेश स्‍थानांतरित करबाक छल। सैन्‍य अकादमी क स्‍थानांतरण क विरोध कए दबेबा लेल आ स्‍थानांतरण क खाली भेल रक्षा मंत्रालयक जमीन कए उपयोग देखेबा लेल गया मे केंद्रीय विश्‍वविद्यालय खोली देल गेल अछि। गया मे केंद्रीय विश्‍वविद्यालयक स्‍वागत तखने कैल जा सकैत अछि जखन केंद्र ओहि ठाम स सैन्‍य अकादमी हटेबाक योजना सेहो त्‍यागि दिए।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. नितीश कुमार जी के आई॰आई॰टी आ एन॰आई॰टी क आवंटन से समय बापूक कर्मभूमी मोतिहारी नञिं याद आएल रहै ?

Comments are closed.